अफीम कमीशनमे महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह

महाराज दरभंगा अपन काल में सरकारक दृष्टिमे ततेक विश्वस प्तार रहथि जे हुनका नशाबंदीक विरुद्ध सरकारी अभियानमे आयोगमे राखल गेल छल।

1893 ई. मे अफीमक खेती आ नशाक रूपमें ओकर व्यवहार पर रोक लगेबाक लेल ब्रिटिश सरकारक द्वारा एक समितिक गठन कएल गेल जाहि मात्र दू भारतीय व्यक्ति कें राखल गेल। ओहि दूमेसँ एक रहथि दरभंगाक महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह आ दोसर छलाह- हरिदास बेहारीदास देसाई।

वेल्सक अखबारमे छपल समाचार
वेल्सक अखबारमे छपल समाचार

एहि समितिक दायित्व छल जे ओ अफीमक प्रयोग पर रोक लगाबथि। केवल दबाइक रूपमे अफीमक प्रयोगकें मान्यता भेटल छल।