घुरि आउ कमला मैथिली भाषामे लिखल दीर्घ कथा थीक। एकर लेखन लगभग 2000ई.में कएल गेल छल। अनेक वेबसाइटक माध्यम सँ ई कथा प्रसारित भेल अछि। एतए एकरा मिथिलाक्षरक फोंटमे देल जा रहल अछि।

आइ मिथिलाक्षर बहुत गोटे सीखि रहल छथि। हुनका पढबाक लेल समग्री चाही, नहीं तँ सिखल सभटा बिसरि जएताह। एहि स्थिति कें देखैत किछु सामग्री मिथिलाक्षरमे प्रकाशित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। ओही शृंखलाक ई पहिल प्रकाशन थीक।

एतए C-Dac, Pune द्वारा निर्मित GIST Vaidehi फोण्टक साभार उपयोग कएल गेल अछि। ई फोण्ट एखनि धरि सार्वजनिक नहिं कएल गेल अछि। मुदा एहि फोण्टमे रचनाक प्रकाशन हेतु लिखित अनुमति प्राप्त कए एकर उपयोग एतए कएल गेल अछि।

Comments are closed, but trackbacks and pingbacks are open.